Techie IT
  • मंगलबार, वैशाख ८, २०८३ / Tuesday, April 21, 2026
गृहपृष्ठमुख्य समाचारअध्यक्ष ओलीके पिताके दाहसंस्कार

अध्यक्ष ओलीके पिताके दाहसंस्कार


काठमाण्डू, २९ फागुनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीके पिता मोहन प्रसाद ओलीके आइ पशुपति आर्यघाटमे दाहसंस्कार कएल गेल अइछ । पूर्वप्रधानमन्त्री ओलीके पिता माेहन प्रसादके ९७ वर्षक उमेरमे आइ भोर भक्तपुरके नेपाल कोरियामैत्री अस्पतालमे इलाजक क्रममे निधन भेल छलैन । पिता ओलीके पार्थिव शरीरमे ज्येष्ठ पुत्र अध्यक्ष ओली दागबत्ती देलैने । दिवङ्गत पिता ओलीप्रति श्रद्धाञ्जलि देबाक लेल आर्यघाटमे नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा, नेता अर्जुन नरसिंह केसी, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके नेता एवं पूर्वप्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल, नेता नारायण काजी श्रेष्ठ, पूर्वप्रधानन्यायाधीश कल्याण श्रेष्ठ, राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलके बेटी अवज्ञा पौडेल, एमालेके उपाध्यक्षसभ विष्णु प्रसाद पौडेल, पृथ्वी सुब्बा गुरुङ आ गोकर्ण राज विष्ट, महासचिव शङ्कर पोखरेल, पूर्व सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल, नेकपा (माले) के महासचिव सिपी मैनाली, नेकपा (संयुक्त) के नेता घनश्याम भुसाल, एमालेके विभिन्न नेता कार्यकर्ताके उपस्थिति छलैन । –––



तपाईको प्रतिक्रिया